Back

ⓘ पोखरा लेखनाथ महानगरपालिका



                                               

महेन्द्र गुफा

महेन्द्र गुफा नेपालक कास्की जिलाक पोखरामे अवस्थित एक प्रसिद्ध गुफा छी । आन्तरिक तथा वाह्य पर्यटकक पहिल गन्तव्यस्थल छी । पोखरा प्रवेश केनिहार पर्यटकसभ सभसँ पहिने महेन्द्र गुफा घुमलाक बाद अन्य गन्तव्य दिस घुमैलेल जाइत अछि । पोखरा लेखनाथ महानगरपालिका वडा नम्बर १६ बाटुलेचौरमे अवस्थित ई गुफाक लम्बाई १ सय २५ मिटर रहल अछि ।

पोखरा लेखनाथ महानगरपालिका
                                     

ⓘ पोखरा लेखनाथ महानगरपालिका

पोखरा लेखनाथ महानगरपालिका नेपालक गण्डकी प्रदेश स्थित कास्की जिलामे रहल महानगरपालिका आ प्रादेशिक राजधानी छी। वि.सं. २०५२ माघ १८ गते उपमहानगरपालिका घोषित पोखराकेँ सङ्घीय मामिला तथा स्थानीय विकास मन्त्रालयद्वारा वि.सं. २०७३ फागुन २७ गते महानगरपालिका घाेषणा कएल गेल छल। ई महानगरपालिकाका कूल क्षेत्रफल ४६४.२४ वर्ग किलोमिटर रहल अछि तहिना कूल जनसङ्ख्या ४,१४,१४१ रहल अछि। महानगरपालिकाक केन्द्र साबिक पोखरा उपमहानगरपालिका कार्यालय राखल गेल अछि । पाेखरा लेखनाथ महानगरपालिका, पोखरा उपमहानगरपालिका, लेखनाथ नगरपालिका, मौजा, चापाकोट, भदौरे तमागीक वडासभ, कास्कीकोट, माझठानाक वडासभ कालिकाक वडासभ आ पुरन्चौर गाउँ विकास समिति मिलाए कुल ३३ टा वडामे विभाजित अछि। पोखरा लेखनाथ महानगरपालिकाक पूर्वी सिमानामे मादी गाउँपालिका आ रूपा गाउँपालिका, पश्चिममे अन्नपूर्ण गाउँपालिका, पर्वत आ स्याङ्जा जिला तहिना एकर उत्तरी सिमानामे माछापुच्छ्रे गाउँपालिका आ मादी गाउँपालिका तथा दक्षिणमे स्याङ्जा आ तनहुँ जिला रहल अछि।

पोखरा लेखनाथ महानगरपालिका पोखरा उपत्यकामे अवस्थित नेपालक अत्यन्त रमणीय स्थानक रूपमे परिचित अछि। पोखरा शहर नेपाल क पैग शहरसभमे सँ एक छी। तहि कारण पोखराकेँ नेपालक एक महत्वपूर्ण पर्यटकीय स्थलक रूपमे लेल जाइत अछि। एतय रहल महत्पूर्ण स्थानसभमे फेवा ताल, महेन्द्र गुफा, पातले छाँगो, सराङकोट, गुप्तेश्वर महादेव गुफा आदि अछि । पोखरा नेपालक गोर्खा प्रदेशक कास्की जिलामे अवस्थित अछि । ई शहर कास्की जिलाक जिला सदरमुकामक संगे गोर्खा प्रदेशक सदरमुकाम सेहो छी।

                                     

1. भूगोल

पोखरा लेखनाथ महानगरपालिका पोखरा उपत्यकाक उत्तर पूर्वी कोनामे अवस्थित अछि। धौलागिरी हिमालय, अन्नपूर्ण आ मनास्लु श्रृङ्खला, ८००० मिटरसँ उच्च हिमालयसभ सेहो एतयसँ देखल जा सकैत अछि। फेवाताल पोखराक सौन्दर्य आओर बेसी बढेनाए अछि। पोखरा नेपालक सबसँ बेसी वर्षा होमएवाला ठाम छी। एतय पाताले छाँगो, महेन्द्र गुफा आ गुप्तेश्वर गुफा जका पर्यटकीय स्थलसभ अछि। माछापुच्छ्रे हिमालयक मनोरम दृष्य सेहो एतयसँ देखल जा सकैत अछि।

                                     

2. इतिहास

वर्तमान नेपाल एकीकरण होमएसँ पूर्व पोखरा कास्की राज्य अन्तर्गत छल। ऐतिहासिक कास्कीकोट उपत्यकाक उत्तरी छोरमे अवस्थित अछि। पृथ्वी नारायण शाहक मझिला पुत्र नायव बहादुर शाहक समयमे पोखरा उपत्यका वर्तमान नेपालमे मिलाएल गेल अछि।

                                     

3. जनसङ्ख्या

पोखरा लेखनाथ महानगरपालिकाक जनसङ्ख्या ४,१४,१४१ अछि। ५ दशमलव ४६ प्रतिशत जनसङ्ख्या वृद्धि रहल ई ठामक जनसङ्ख्या वृद्धिदर अधिराज्यमे सर्वाधिक अछि । सन् २०११ क तथ्याङ्क अनुसार एतय बाहुन २२ दशमलव ८३ प्रतिशत, गुरुङ २१ दशमलव ६२ प्रतिशत, मगर ८ दशमलव २० प्रतिशत, क्षेत्री १५ दशमलव ३५, दलित ८ दशमलव ७१ प्रतिशत रहल अछि । एतय नेवार, मुसलमान, तामाङ, थकाली आदि जनजाति बसोबास करैत अछि। परम्परागत कामकाज व्यवसाय वाहेक बाहर काज करि आयल लोक आ लाहुरेसभक बसोबास बेसी भेला कारण पोखराके नेपालक महग शहर सेहो कहल जाइत अछि।

                                     

4. पर्यटकीय स्थलसभ

पोखरा तथा लेखनाथक मुख्य व्यवसाय पर्यटन छी। पोखरा लेखनाथ महानगरपालिकामे विन्ध्यवासिनी मन्दिर, धर्मशाला, बुद्धविहार, मैत्री चैत्य तथा राधाकृष्ण मन्दिर, भद्रकाली मन्दिर, शोभा भगवती मन्दिर, सिद्धेश्वर महादेव, पुष्करेश्वर शिव मन्दिर, राम मन्दिर, केदारेश्वर मन्दिर, शिवहरि मन्दिर तथा नमोबौद्ध गुम्बा आदि ऐतिहासिक तथा धार्मिक पर्यटकीय स्थलसभ रहल अछि तहिना सेती नदीक गल्छी, चमेरे गुफा, पाताले छाँगो, महेन्द्र गुफा, गुप्तेश्वर गुफा आदि एतय रहल प्राकृतिक पर्यटकीय स्थलसभ छी। एतय रहल रमणीय तालसभ आ सेतीगण्डकी हिमाली छायाँ तथा झरनासभ प्रमुख पर्यटकीय आकर्षण छी । फेवातालक पानिमे माछापुच्छ्रे हिमालयक छाँया तथा बेगनासमे कएल जाइवाला नौका बिहार आकर्षक अछि । संगे अन्नपूर्ण पदमार्ग एहि ठामसँ आरम्भ होइत अछि ।

                                     

5. शिक्षा तथा स्वास्थ्य

पोखरा लेखनाथ महानगरपालिका पश्चिम नेपालक प्रमुख शिक्षा तथा स्वास्थ्य केन्द्र सेहो छी। नेपालक प्रख्यात पृथ्वी नारायण क्याम्पस, जनप्रिय क्याम्पस, पोखरा विश्वविद्यालय तथा अन्य क्यापस तथा विद्यालय रहल पोखरामे पोखरा क्षेत्रीय अस्पताल, मणिपाल शिक्षण अस्पताल सहित बहुतेक स्वास्थ्य संस्था रहल अछि।

                                     

6. राजमार्ग

पोखरा उपत्यका पूर्वमे पृथ्वी राजमार्गक माध्यमसँ मध्य पहाडी क्षेत्र, काठमाडौं उपत्यका मध्य दक्षिणक चितवन जिला तथा पूर्व-पश्चिम राजमार्ग नेपालक तराइसँ जुड़ल अछि तँ सिद्धार्थ राजमार्ग पोखराके पश्चिम तराई आ किछ पहाडी जिलासँ तथा धवलागिरी राजमार्ग पश्चिम-उत्तरी पहाडी आ हिमाली क्षेत्रसँ जोडने अछि।

Free and no ads
no need to download or install

Pino - logical board game which is based on tactics and strategy. In general this is a remix of chess, checkers and corners. The game develops imagination, concentration, teaches how to solve tasks, plan their own actions and of course to think logically. It does not matter how much pieces you have, the main thing is how they are placement!

online intellectual game →