Back

ⓘ भारत



                                               

भारत रत्न

भारत रत्न भारतक सर्वोच्च नागरिक सम्मान छी। ई सम्मान राष्ट्रिय सेवाक लेल प्रदान कएल जाएत अछि । ई सेवासभ छी कला, साहित्य, विज्ञान आ सार्वजनिक सेवा । ई सम्मानक स्थापना २ जनवरी, १९५४ मे भारतक तत्कालीन राष्ट्रपति श्री राजेन्द्र प्रसादद्वारा कएल गेछल । अन्य अलङ्करणक समान ई सम्मान सेहो नामक संग पदवीक रूपमे नै लेल जाएत अछि । प्रारम्भमे ई सम्मान मरणोपरान्त देवाक प्रावधान नै छल, ई प्रावधान सन् १९५५मे जोडल गेल । अहि पश्चात अखन धरिक सम्मानमे १० व्यक्तिसभक मरणोपरान्त भारत रत्न प्रदान प्रदान कएल गेल अछि । अन्य प्रतिष्ठित पुरस्कारसभमे पद्म विभूषण, पद्म भूषण आ पद्मश्रीक नाम लेल जा सकएत अछि ।

                                               

पञ्जाब, भारत

पञ्जाब उत्तर-पश्चिम भारतक एक राज्य अछि जे वृहद्तर पञ्जाब क्षेत्रक एक भाग छी । एकर दोसर भाग पाकिस्तानमे अछि । पञ्जाब क्षेत्रक अन्य भाग हरियाणा आ हिमाचल प्रदेश राज्यसभमे अछि । एकर पश्चिममे पाकिस्तानी पञ्जाब, उत्तरमे जम्मू आ कश्मीर, उत्तर-पूर्वमे हिमाचल प्रदेश, दक्षिण आ दक्षिण-पूर्वमे हरियाणा, दक्षिण-पूर्वमे केन्द्र शासित प्रदेश चण्डीगढ आ दक्षिण-पश्चिममे राजस्थान राज्य अछि । राज्यक कूल जनसङ्ख्या २,४२,८९,२९६ अछि आ कूल क्षेत्रफल ५०,३६२ वर्ग किलोमिटर अछि । केन्द्र शासित प्रदेश चण्डीगढ पञ्जाबक राजधानी छी जेकि हरियाणा राज्यक सेहो राजधानी छी । पञ्जाबक प्रमुख नगरसभमे अमृतसर, लुधियाना, जालन्धर, पटिया ...

                                               

भारत सरकार

भारत सरकार, जे आधिकारिक रूप सँ सङ्घीय सरकार आ सामान्यतया केन्द्रीय सरकार कऽ नाम सँ जानल जाएत अछि, २९ राज्यसभ तथा सात केन्द्रशासित प्रदेशसभक सङ्घीय एकाई जे संयुक्त रुप सँ भारतीय गणराज्य कहलावैत अछि ओकर नियन्त्रक प्राधिकारी छी। भारतीय संविधानद्वारा स्थापित भारत सरकार नयाँ दिल्ली, दिल्ली सँ काज करैत अछि। भारतक नागरिकसभ सँ सम्बन्धित बुनियादी दीवानी आ फौजदारी कानून जेना नागरिक प्रक्रिया संहिता, भारतीय दण्ड संहिता, अपराध प्रक्रिया संहिता, आदि मुख्यतः संसदद्वारा बनाएल जाएत अछि। सङ्घ आ हरेक राज्य सरकार तीन अङ्गसभ कार्यपालिका, विधायिका आ न्यायपालिकाक अन्तर्गत काम करैत अछि। सङ्घीय आ राज्य सरकारसभ पर ...

                                               

ब्रिटिश राज

ब्रिटिश राज या ब्रिटिश भारत सन् १८५८ सँ १९४७ धरि भारतीय उपमहाद्वीपमे स्थापित संयुक्त अधिराज्यक अधीन प्रशासित उपनिवेशिक शासनक नाम छल। एकर भौगोलिक विस्तार, पश्चिममे अफगानिस्तान आ इरानक सीमासँ पूर्वमे बर्मा धरि; आ उत्तरमे काराकोरम पर्वतसँ दक्षिणमे सिलोनद्वीप धरि छल। आर ब्रिटिश यमन एवं अन्य ब्रिटिश खाड़ी प्रदेशसभमे एकर अधिन प्रशासित रहैत छल। तत्कालीन भारतीय उपखण्डमे, ब्रिटिश प्रशासित प्रदेशक संगे, अन्य अनेक स्वशासित राज्य-रजवाड़ा सेहो रहल अछि, जेसभ विभिन्न प्रकारक सन्धिकें अनुसार ब्रिटिश शासनक ऊपर निर्भर रहल छल। अधिकारिक रूपसँ ब्रिटिश सरकारक अधीनस्थ प्रदेशक ब्रिटिश भारत कऽ भाग मानल जाइत छल, मु ...

                                               

जलेबी

जिलेबी उत्तर भारत, पाकिस्तान आ मध्यपूर्व क एकटा लोकप्रिय व्यंजन,अछि। एकर आकार पेंचदार होइत अछि आर स्वाद करारा मीठ। ई मिठाईक धूम भारतीय उपमहाद्वीप सँ शुरू भ पश्चिमी देश स्पेन धरि जाएत अछि। ई बीच भारत,बांग्लादेश, पाकिस्तान, ईरानक संग समस्त अरब देससभ मे सेहो ई खूब जानल-चिन्लहल अछि। आमतौपर त जिलेबी सादे बनाएल आ पसंद कएल जाएत अछि, मुदा पनीर आ खोया जिलेबी सेहो लोग बड चाव सँ खाएत आछि। जिलेबी भारतक राष्ट्रीय मिठाई अछि।

                                               

पूर्वोत्तर रेलवे (भारत)

एकर अंतर्गत आबवला मंडल छी: इज्जत नगर, लखनऊ, वाराणसी † कोंकण रेलवे भारतीय रेलके एकटा अनुषाङ्गिक इकाईके रूपमे परन्तु स्वायत्त रूपसँ परिचालित होमएवला रेल व्यवस्था छी जकर मुख्यालय नवी मुम्बईके बेलापुरमे राखल गेल अछि। ई सीधा रेलवे बोर्ड एवं केन्द्रीय रेलमन्त्रीके निगरानीमे काम करैत अछि।

भारत
                                     

ⓘ भारत

भारत दक्षिण एशियामे अवस्थित भारतीय उपमहाद्वीपक सभसँ पैग देश छी । पूर्ण रूपसँ उत्तरी गोलार्धमे स्थित भारत, भौगोलिक दृष्टिसँ विश्वमे सातम सभसँ पैग आ जनसङ्ख्याक दृष्टिकोणसँ दोसर सभसँ पैग देश छी । भारतक पश्चिममे पाकिस्तान, उत्तर-पूर्वमे चीन, नेपाल आ भुटान, पूर्वमे बंगलादेश आ म्यानमार स्थित अछि । हिन्द महासागरमे एकर दक्षिण पश्चिममे माल्दिभ्स, दक्षिणमे श्रीलंका आ दक्षिण-पूर्वमे इन्डोनेसियासँ भारतक सामुद्रिक सीमा छुबैत अछि । एकर उत्तरक भौतिक सीमा हिमालय पर्वतसँ आ दक्षिणमे हिन्द महासागरसँ छुबैत अछि । पूर्वमे बङ्गालक खाड़ी अछि तथा पश्चिममे अरब सागर अछि ।

प्राचीन सिन्धु घाटी सभ्यता, व्यापार मार्गसभ आ वृहत साम्राज्यसभक विकास-स्थान रहल भारतीय उपमहाद्वीप एकर सांस्कृतिक आ आर्थिक सफलताक लम्बा इतिहासक लेल जानल जाइत रहल अछि । चारि प्रमुख सम्प्रदायसभ: हिन्दू, बौद्ध, जैन आ सिख धर्मसभक एहि ठाम उदय भेल, पारसी, यहुदी, इसाई आ मुस्लिम धर्म प्रथम सहस्राब्दीमे एतय पहुचल आ एतय विविध संस्कृतिकें नव रूप देलक । क्रमिक विजयसभक परिणामस्वरूप ब्रिटिश इस्ट इन्डिया कम्पनी १८हम आ १९अम शताब्दीमे भारतक अधिकतर हिस्सासभकें अपन राज्यमे मिलाए लेलक । सन् १८५७ कऽ विफल विद्रोहक बाद भारतक प्रशासनिक भार ब्रिटिश सरकार अपन उपर लऽ लेलक । ब्रिटिश भारतक रूपमे ब्रिटिश साम्राज्यक प्रमुख अङ्ग भारत, महात्मा गान्धीक नेतृत्वमे एक लम्बा आ मुख्य रूपसँ अहिंसक स्वतन्त्रता सङ्ग्रामक बाद १५ अगस्त १९४७कें आजादी पाबलक । सन् १९५० मे लागू भेल नव संविधानमे एकरा सार्वजनिक वयस्क मताधिकारक आधापर स्थापित संवैधानिक लोकतान्त्रिक गणतन्त्र घोषित करि देल गेल आ युनाइटेड किङ्गडमक तर्ज पर वेस्टमिनिस्टर शैलीक संसदीय सरकार स्थापित कएल गेल । एक सङ्घीय राष्ट्र, भारतकें २९ राज्य आ ७ सङ्घ शासित प्रदेशसभमे गठित कएल गेल अछि ।

नागरिक उड्डयन महानिर्देशनालय (भारत)
                                               

नागरिक उड्डयन महानिर्देशनालय (भारत)

नागरिक उड्डयन महनिर्देशनालय भारत सरकारक नागरिक उड्डयन मन्त्रालयक अधीनस्थ नागरिक उड्डयनक एक नियामक संस्था छी । ई निर्देशालय विमान दुर्घटनासभ तथा अन्य सम्बन्धित घटनासभक बारेमे जाँच करैत अछि । एकर मुख्यालय सफदरजङ्ग विमानस्थल, नयाँ दिल्लीमे अवस्थित अछि ।

कोणार्क सूर्य मन्दिर
                                               

कोणार्क सूर्य मन्दिर

कोणार्क सूर्य मन्दिर उडिसा, भारत, कोणार्कमे एक १३अम शताब्दीक सूर्य मन्दिर छी जकरा काला शिवालय क नाम सँ सेहो जानल जाएत अछि। ई मन्दिर सन् १२५० कऽ आसपास पूर्वी गङ्गा राजवंश राजा नरसिम्हादेवाद्वारा निर्माण कएल गेल अछि कहि विश्वास अछि । कोणार्क सूर्य मन्दिर युनेस्को विश्व सम्पदा क्षेत्रमे समावेश अछि । ई मन्दिर भारतक सभ सँ प्रसिद्ध स्थलमे सँ एक सेहो छी ।

Free and no ads
no need to download or install

Pino - logical board game which is based on tactics and strategy. In general this is a remix of chess, checkers and corners. The game develops imagination, concentration, teaches how to solve tasks, plan their own actions and of course to think logically. It does not matter how much pieces you have, the main thing is how they are placement!

online intellectual game →