Back

ⓘ जोमसोम



                                               

कालीगण्डकी नदी

कालीगण्डकी अथवा गण्डकी नदी संसारक सबसँ गहीर मोनि बनाए प्रवाहित होमए वला नदी छी । ई नदी सँ नेपालक सभ सँ पैग जलविद्युत उत्पादन केन्द्र सञ्चालित भऽ रहल अछि । ई नदीमे पैग मात्रामे कारी रङ्गक माटि भेलाक कारण ई नदीक नाम काली गण्डकी नामाकरण केएल गेल अछि।

                                               

घरपझोङ गाउँपालिका

घरपझोङ गाउँपालिका मुस्ताङ जिलामे अवस्थित अछि । वि.सं २०७३ सालमे सङ्घीय मामिला तथा स्थानीय विकास मन्त्रालय ७४४ स्थानीय तह लागू करै मुस्ताङ जिलामे साविकक मार्फा, टुकुचेक वडासभ आ जोमसोम गाउँ विकास समितिसभके समेट घरपझोङ गाउँपालिका घोषणा कल गेल अछि । घरपझोङ गाउँपालिकाक क्षेत्रफल ३१६ वर्गकिलोमिटर रहल अछि । ई गाउँपालिका ५ वडासभमे विभाजन केने अछि । गाउँपालिकक कूल जनसंख्या ३,०२९ रहल अछि । ई गाउँपालिकाक सिमाना पूर्वमे बाह्रगाउँ मुक्तिक्षेत्र गाउँपालिका आ मनाङ जिला, पश्चिममे थासाङ गाउँपालिका, उत्तरमे बाह्रगाउँ मुक्तिक्षेत्र गाउँपालिका, दक्षिणमे थासाङ गाउँपालिका, मनाङ आ म्याग्दी जिलातक अछि ।

                                               

मुक्तिनाथ

मुक्तिनाथ हिन्दू तथा बौद्धमार्गीसभक लेल एक महत्वपूर्ण तिर्थस्थल छी । ई तिर्थस्थल समुद्र सतहसँ ३,७१० मीटरक उचाईमे नेपालक हिमालय पारक मुस्ताङ जिलामे अवस्थित अछि । ई मन्दिरके हिन्दूसभ मुक्ति क्षेत्र तथा बौद्धमार्गीसभ तिब्बती भाषामे छुमिङ ग्यात्सा कहैत अछि । तिब्बती बौद्धमार्गीसभक २४ तान्त्रिक स्थानसभमे सँ छुमिङ ग्यात्सा सेहो एक छी । मुक्तिनाथ वैष्‍णव सम्प्रदायक सेहो प्रमुख मन्दिरसभमे सँ एक छी । ई तिर्थस्थल शालिग्राम भगवानक लेल प्रसिद्ध रहल अछि । शालिग्राम बास्तवमे एकटा पवित्र शिला छी जकरा हिन्दू धर्ममे पुजनिय मानल जाइत अछि । ई मुख्य रुपमे कालीगण्डकी नदीमे मिलैत अछि । जहि क्षेत्रमे मुक्तिनाथ अ ...

जोमसोम
                                     

ⓘ जोमसोम

जोमसोम नेपालक पश्चिमाञ्चल विकास क्षेत्रक धवलागिरी अञ्चल, मुस्ताङ जिलामे अवस्थित गाँउ विकास समिति छी । जोमसोम मुस्ताङ जिलाक सदरमुकाम छी। ई २,८०० मिटरक उचाईमे काली गण्डकीक किनारमा अवस्थित अछि। ई ठामक दक्षिणी भेकम रहल धौलागिरी तथा निलगिरी हिमालक मनोरम दृश्य देखल जाएत अछि । अहि ठाममे प्रख्यात तीर्थस्थल मुक्तिनाथ आ लोमान्थाङ जाई वाला प्रवेश द्वारक रूपम जाएत अछि। जोमसोम अन्नपूर्ण संसक्षण क्षेत्र बीचमे अवस्थित अछि ।

                                     

1. जनसङ्ख्या

नेपालक राष्ट्रिय जनगणना २०६८ क तथ्याङ्क अनुसार जोमसोम गाँउ विकास समितिक कूल जनसङ्ख्या १,३७० मध्ये ७०२ पुरुष आर ६६८ महिलासभ ४३० व्यक्तिगत घरधुरीम बसोबास करैत अछि।

रूप्से झरना
                                               

रूप्से झरना

रूप्से झरना अथवा रूप्से छाँगा नेपालक सबसँ सुन्दर झरना छी । ई म्याग्दी जिलाक दाना गाविसमे अवस्थित अछी । बेनी-जोमसोम सडक होएत पहुँच सकैवाला ई झरना अत्यन्त मनमोहक होमएसँ पर्यटक के बीचमे लोकप्रीय अछी ।

तारा एयर विमान १९३
                                               

तारा एयर विमान १९३

तारा एयर विमान १९३ घरेलू नियमित यात्रु विमान छेला जुन २४ फेब्रुअरी २०१६ क दिन पोखराक पोखरा विमानस्थल स जोमसोमके जोमसोम विमानस्थल उडान समयमा दुर्घटनाग्रस्त भेछल । विमानम सवार सब यात्रु आर चालक दलका सदस्यसहित २३ गोटेक मृत्यु भेछल । विमान दुर्घटनाग्रस्त क्षेत्र म्याग्दीक दाना गाउँ नजदिक रहेछल ।

Free and no ads
no need to download or install

Pino - logical board game which is based on tactics and strategy. In general this is a remix of chess, checkers and corners. The game develops imagination, concentration, teaches how to solve tasks, plan their own actions and of course to think logically. It does not matter how much pieces you have, the main thing is how they are placement!

online intellectual game →