Back

ⓘ नेपालक हिमालसभ



                                               

सगरमाथा राष्ट्रिय निकुञ्ज

सगरमाथा राष्ट्रिय निकुञ्ज पूर्वी नेपालक सोलुखुम्बु जिलाक उत्तरी भागम अछि जे सगरमाथा, ल्होत्से, नुप्त्से, चो यु, आमादब्लम हिमालसभ तथा ई अगलबगल क क्षेत्रक ओगटने अछि । एकर क्षेत्रफल ११४८ वर्ग कि.मि. अछि । ई सन् १९७६ म स्थापना कएल गेल अछि। ई निकुञ्ज क्षेत्रक सन् ११७९ सँ विश्व सम्पदा सूचीम सूचिकृत कएल गेल अछि । ई निकुञ्ज १८०० मि. सँ ४०४८ मि. तक क उचाईम रहल गेल अछि । एत कस्तुरी मृग पक्षी पावल जाएत अछि। ई क्षेत्रभितर बसोबास करैत लोगसभक सङ्ख्या करिब ३,००० अछि । जै म मुख्य रूपसँ शेर्पा जातीक लोगसभक बसोवास रहल अछि । एतक मुख्य बसोबास क्षेत्रसभ नाम्चे बजार, खुम्जुङ, थामे, थेङ्बोचे, स्याङ्बोचे आदि छि।

                                               

मकालु-बरूण राष्ट्रिय निकुञ्ज

मकालु-बरुण राष्ट्रिय निकुञ्ज क स्थापना बि. सं. २०४९ मे भेल अछि, जेकर नामाकरण मकालु हिमालक नामसँ कएल गेल अछि । एकर प्रशासनिक तथा ब्यबस्थापनक कार्य नेपाल सरकार, राष्ट्रिय निकुञ्ज तथा वन्यजन्तु संरक्षण विभागसँ होएत अछि तथा सहयोगिक रूपमे द माउन्टेन इन्स्टिच्युटस सेहो कार्य करैत आएल अछि । अरुण नदीक अगलबगलक उष्ण जंगलसँ हिमालयक उच्च भाग तक पसरल मकालु-बरुण राष्ट्रिय निकुञ्ज बिश्वक सबसँ उचाई स्थानमे रहल संरक्षीत क्षेत्र छी, जे समुन्द्री सतहसँ ८,००० मिटरक उचाईमे अवस्थित अछि। मकालु-बरुण राष्ट्रिय निकुञ्ज २३,३० वर्ग किलोमिटर क्षेत्रफलमे पसरल अछि । एहि निकुञ्ज भितर मकालु हिमाल ८,४६३ मिटर बिश्वक पन्ध्रौ ...

                                               

ढोरपाटन शिकार आरक्ष

ढोरपाटन शिकार आरक्ष नेपालक एक मात्र शिकार आरक्ष छी । ई आरक्ष पश्चिम नेपालमे धौलागिरी हिमश्रृंखला भितर रुकुम, म्याग्दि आर बाग्लुङ करि तीन जिलामे पसरल अछि, जेकर क्षेत्रफल १,३२५ वर्ग किलोमिटर रहल अछि । ढोरपाटन शिकार आरक्ष बि.सं. २०४० मे स्थापित भेल आर एकर बि.सं. २०४४ मे मात्र सरकारी मान्यता प्राप्त करलक । एकर उत्तरी सिमामे पुथा, चुरेन आर गुर्जा हिमालसभ रहल अछि । ई आरक्ष समुन्द्री सतहसँ २,८५० मिटर सँ ५,५०० मिटर उचाईमे अवस्थित अछि ।

                                               

अन्नपूर्ण संरक्षण क्षेत्र

अन्नपूर्ण संरक्षण क्षेत्र पश्चिम नेपालक गण्डकी तथा धौलागिरी अञ्चलक उत्तरी क्षेत्रसभमे परवाला नेपालक सबसँ बडका संरक्षण क्षेत्र छी । एकर क्षेत्रफल ७,६२९ बर्ग कि.मी. अछि । एहि अन्तरगत ८,००० मि. सँ लम्बा हिमालसभ, संसारक सबसँ गहिर काली गण्डकी नदीक खोंच, नेपालक सबसँ बेसी तथा कम पानि परैत ठामसभ अछि । ई नेपालक सबसँ महत्वपूर्ण पर्यटकीय गन्तब्य स्थल सेहो छी । नेपाल प्रकृति संरक्षण कोष अर्न्तर्गत स्थापना भेल ई संरक्षण क्षेत्र आयोजनाक कास्की, लमजुङ्ग, मनाङ, मुस्ताङ आर म्याग्दी करि ५ जिलाक ५६ टा गा.वि.ससभमे काम करैत आइब रहल अछि । २०४३ साल मंसीर सँ परीक्षण रूपमे कास्की जिलाक घान्द्रुकसँ काम कर शुरु करि ...

                                               

नेपालक विश्व सम्पदा क्षेत्रसभक सूची

सन् २०१७ धरि नेपालक ४ टा सम्पदाके संयुक्त राष्ट्र शैक्षिक, वैज्ञानिक आ सांस्कृतिक सङ्गठन द्वारा विश्व सम्पदा क्षेत्रमे मान्यता प्रदान कएल गेल अछि । नेपालक पहिल युनेस्को विश्व सम्पदा क्षेत्र सगरमाथा राष्ट्रिय निकुञ्ज तथा काठमाडौं उपत्यका छी । नेपालमे अखन धरि २ टा सांस्कृतिक आ २ प्राकृतिक मिश्रित क्षेत्रसभ अछि । एकर अतिरिक्त, नेपालद्वारा युनेस्कोकें प्रस्ताव कएल गेल १५ स्थानीय क्षेत्रसभ अछि । विश्व सम्पदा समितिद्वारा विश्व सम्पदा क्षेत्रमे सूची होमए कऽ लेल कोनो भी सम्पदाकें उचित विविध विशेषतासभक मापदण्ड पार केनाए आ कालान्तर धरि ओहि मापदण्डकें पूर्ण रूप सँ पालन करै पडैत अछि नै तँ ओ सम्पदाकें ...

                                               

दक्षिणी एसियाक विश्व सम्पदा क्षेत्रसभक सूची

सन् २०१४ धरि दक्षिणी एसियाक ६ टा देशसभक ६० टा सम्पदाके संयुक्त राष्ट्र शैक्षिक, वैज्ञानिक एवं सांस्कृतिक संगठन द्वारा विश्व सम्पदा क्षेत्रमे मान्यता प्रदान कएल गेल अछि । जहिमे अफगानिस्तान, भारत, नेपाल, श्रीलंका, पाकिस्तान तथा बंगलादेश रहल अछि । दक्षिण एसियामे रहल भुटान आ माल्दिभ्सक कोनो सम्पदाके युनेस्को एखन धरि मान्यता नै देनए अछि । ई क्षेत्रमे रहल भारतक सब सँ बेसी ३७ सम्पदा सूचीकृत कएल गेल अछि । ई क्षेत्र सँ सब सँ पहिने काठमाडौं उपत्यका तथा सगरमाथा राष्ट्रिय निकुञ्जके युनेस्को विश्व सम्पदा सूचीमे समावेश केनए छल ।

                                               

नुबचे

नुबचे नेपालक सोलुखुम्बु जिलाक खुम्बु क्षेत्रमे अवस्थित महालङ्गुर हिमश्रृंखला अन्तर्गत हिमाल छी। ई सगरमाथासँ २ किलोमिटरक दुरीमे रहल अछि। ई हिमाल सगरमाथाक पश्चिममे रहलक एकर नाम तिब्बती आ शेर्पा भाषामे नुबचे कहैत अछि जेकर अर्थ अंग्रेजीमे Western Peak आ नेपालीमे पश्चिमी शिखर कहब अछि।

बेडेन पावेल शिखर
                                               

बेडेन पावेल शिखर

बेडेन पावेल शिखर नेपालक लाङटाङ उपत्यका क्षेत्रमे अवस्थित एक हिमशिखर छी । सामान्यतया ई हिमशिखरके र्उकिमे शिखर कह चिनैत अछि । ई हिमशिखरके स.न् २००७ मे विश्व स्काउटिङक १०० वर्ष पुगल उपलक्ष्मे नेपाल सरकार विश्व स्काउटक संस्थापक बेडेन पावेलक स्मरणमे हिमशिखरक पुनः नामाकरण कैर बेडेन पावेल शिखर राखनै अछि ।

Free and no ads
no need to download or install

Pino - logical board game which is based on tactics and strategy. In general this is a remix of chess, checkers and corners. The game develops imagination, concentration, teaches how to solve tasks, plan their own actions and of course to think logically. It does not matter how much pieces you have, the main thing is how they are placement!

online intellectual game →