Back

ⓘ नेपाली राजनीतिज्ञसभ



                                               

गिरिजा प्रसाद कोइराला

गिरिजा प्रसाद कोइराला नेपालकऽ एक राजनीतिज्ञ छल ओ नेपाली राजनीतिकमे एक जानकार व्यक्ति मानल जाएत छल । गिरिजा प्रसाद कोइराला नेपाली काङ्ग्रेसके पूर्व अध्यक्ष समेत छल । । गिरिजा प्रसाद कोइराला चारि बेर नेपालक प्रधानमन्त्री भेछल । गिरिजा प्रसाद कोइरालाके राजनीतिक यात्रा छह दशक सँ बेसी रहल छल । कोइरालाके जन्म बिहारक सहरसा जिलामे वर्ष १९२५ मे भेछल ।

                                               

महन्थ ठाकुर

महन्थ ठाकुर महोत्तरी जिलामे जनमल एक नेपाली राजनीतिज्ञ आ राष्ट्रीय जनता पार्टी नेपालक अध्यक्षसभ मध्ये एक छी । एहि सँ पहिने ओ तराई मधेश लोकतान्त्रिक पार्टीक अध्यक्ष एवं पुर्वमे नेपाली काङ्ग्रेस पार्टीक वरिष्ठ नेता सेहो छल ।.

                                               

रवीन्द्र मिश्र

रविन्द्र मिश्र बिबिसी नेपाली सेवा लण्डनक निर्देशक छलाह । ओ एक पत्रकार तथा स्तम्भकार सेहो छी । ओ विभिन्न नेपाली पत्रिकासभमे अपन कलम चलौने अछि जहिमे मुख्यत: नेपाल साप्ताहिक, विभिन्न कालखण्डम छद्दनाम, समसामयिक स्तम्भ संगे भूमध्य रेखा नामक पुस्तक सेहो प्रकाशित करौने छल । ई पुस्तकसँ प्राप्त रोयाल्टी रकम मिश्र चितवन स्थित राउटेसभक सहयोग करवाक हेतु पुस्तक बिमोचन समारोहमे घोषणा केनए छल।

                                               

गगन थापा

थापाक जन्म २०३३ सालमे काठमाडौंक प्रसूति गृह मे भेल अछि। उनकर मातापिता महेन्द्र कुमार थापा आ रामेश्वरी थापा छी। उनकर दादा सोलुखुम्बु जिल्लाक खाल्पा गाम्क धनी मुखिया भीमराज थापा छी। ओ कश्यप गोत्री गोदार थापा अछि। गगनक बाल्यकालक किछ समय सिन्धुपाल्चोक जिल्लामे बितल। उनकर पिता महेन्द्र नेपाल विद्युत प्राधिकरणमे इन्जिनियर छल। गगनक एक भैया आ दुई भाइ अछि। भैया पवन छी तँ भाईसभ सुमन आ जीवन। गगन सिर्द्धार्थ वनस्थली हाइस्कूलमे पढलक। ओहि ठाम पढैतधरि उनकर इच्छा डाक्टर-इन्जिनियर बनेके ही छल। २०४६ सालक जनआन्दोलनमे गगन सक्रिय भेल। तखन ओ कक्षा ९ मे पढैत छल। परन्तु, राजनीतिमे लागेके सोचाइ नै छल। दोसर सविधानस ...

                                               

सरस्वती चौधरी

                                               

शेख अबुलकलाम आजाद

शेख अबुलकलाम आजाद नेपाली राजनीतिज्ञ, समाज सेवी, रौतहट प्रदेश सभा निर्वाचन क्षेत्र ४ कऽ सदस्य तथा पूर्व गाविस अध्यक्ष छथि।

                                               

विश्वेश्वरप्रसाद कोइराला

विश्वेश्वर प्रसाद कोइराला नेपालक प्रथम जन निर्वाचित प्रधानमन्त्री तथा नेपाली, हिन्दी भाषाक साहित्यकार छी। ओ अपन जीवनक लम्बा समयधरि नेपाली कांग्रेसक नेतृत्व, सन् १९५९ सँ १९६० धरि नेपालक प्रधानमन्त्री, आ नेपालमे प्रजातन्त्र स्थापना करवाक लेल राजनैतिक नेतृत्व प्रदान केलक । नेपाली भाषा साहित्यमे ओ मनोवैज्ञानिक कथासभक नयाँ प्रयोग केलक । कोइरालाक पिताक नाम कृष्णप्रसाद कोइराला छी।

                                               

शेरबहादुर देउवा

शेरबहादुर देउवा नेपाली काँग्रेसक शीर्ष नेता आ नेपालक पुर्व प्रधानमन्त्री छी । ओ एहिसँ पहिने सन् १९९५ सँ १९९७, २००१ सँ २००२ आ २००४ सँ २००५ मे प्रधानमन्त्री बनि चुकल अछि । सन् २०१६ मे भेल नेपाली काङ्ग्रेसक १३हम महाधिवेशनसँ ओ पार्टी महासचिवमे निर्वाचित भेल अछि ।

                                               

बाबुराम भट्टराई

बाबूराम भट्टराई एक नेपाली राजनीतिज्ञ आ जनता समाजवादी पार्टी, नेपालक सङ्घिय परिषदक अध्यक्ष छी, ओ अगस्त २०११ सँ मार्च २०१३ धरि नेपालक प्रधानमन्त्री छल। भट्टराई नयाँ शक्ति पार्टीक स्थापना सँ पहिने एकीकृत नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी माओवादी अग्रणी भूमिका निर्वाह केनिहार पार्टीक सदस्य आ नेता छल। सन् १९९६ मे माओवादीसभ द्वारा नेपाली गृहयुद्धक शुरुआत कएने छल जकर नेपालमे राजनीतिक व्यवस्था पर व्यापक प्रभाव पड़ल। एक दशक धरि चलल गृहयुद्ध जाहिमे १२००० सँ बेसी नेपाली मारल गेल आ नेपालकें राजतन्त्र अन्त्य करि एक गणतन्त्र देश स्थापित कारबामे ओ प्रमुख भूमिका निभौने छल। भट्टराई २००८ गोर्खासँ माओवादी उमेदवारक रूप ...

                                               

चन्द्र शमशेर जङ्गबहादुर राणा

चन्द्र शमशेर राणा शासनक पाँचम श्री ३ महाराज तथा नेपालक १३अम प्रधानमन्त्री छल । ई अपन भैया देव शमशेरके सत्ता सँ च्यूत करि धनकुटा दौडाए श्री ३ क पदमे विराजमान भेछल । चतुर आ किछ हद धरि सुधारक रहल चन्द्र शम्सेर बहुतेक लम्बा समय धरि नेपालक प्रधानमन्त्री रहल । प्रथम विश्वयुद्धमे ई नेपालक प्रधानमन्त्री छल । चन्द्र शम्सेर ब्रिटिस फौजक तरफ सँ लडाई करै लेल बड्का सङ्ख्यामे नेपाली सेना पठौने छल ।

                                               

कृष्णप्रसाद भट्टराई

कृष्णप्रसाद भट्टराई नेपालक बरिष्ठ राजनीतिज्ञ छल । हुनकानेपालक पहिल संसदकऽ पहिल सभामुख तथा बहुदलीय व्यवस्थाक पुनर्स्थापना पश्चातक पहिल प्रधानमन्त्री छथि। हुनका वि.सं. २००३ सालमे नेपाली काङ्ग्रेस गठन करै सँ नेपालक राजनीतिमे संलग्न छल । हुनका २००७ सालक सशस्त्र क्रान्तिमे जनकपुर―उदयपुर कब्जा कैर मुक्ति सेनाक कमाण्डरक रूपमे काम केने छल । भट्टराई वि.सं. २०१५ सालमे संसदक निच्ला सदन प्रतिनिधि सभाक सभामुख भेछल ।

                                               

सुशील कोइराला

सुशील कोइराला नेपालक ३८अम प्रधानमन्त्री छल । कोइराला नेपालके व्यवस्थापिक संसदसँ वि.स. २०७०, माघ २७ गते प्रधानमन्त्रीमे निर्वाचित भेल छेल। ओ नेपालक वरिष्ठ राजनीतिज्ञ तथा लोकतान्त्रिक योद्धा छल तथा नेपाली कांग्रेस पार्टीक सभापति छेला ।

                                               

गजेन्द्र नारायण सिंह

गजेन्द्र नारायण सिंह एक नेपालक राजनीतिज्ञ आ मधेशी कार्यकर्ता छल । ओ सन १९८५ मे नेपाल सदभावना पार्टी क स्थापना केनए छल । हिनका द्वारा नेपालमे चलि रहल भेदभाव सँ मुक्तिक लेल जागरूकता बढ़ाबैत मधेशकें राष्ट्रिय आ अन्तराष्ट्रिय स्तर पर चर्चित मुद्दा बनाबैत आन्दोलन शरु कएल गेछल । नेपाल सदभावना पार्टीक अध्यक्ष रहल गजेन्द्र नारायण सिंहक मृत्यु २३ जनवरी, २००२ मे भेछल । हिनकर मृत शरीरकें नेपालक सप्तरी,राजविराजमे रहल सप्तरी सेवा आश्रम लऽ जाए २५ जनवरीक पूर्ण राजकीय सम्मानक साथ अन्तिम संस्कार कएल गेछल ।

                                               

उपेन्द्र यादव

उपेन्द्र यादवक जन्म वि.सं.२०१६ सालमे सप्तरी जिलाक भगवतपुरमे भेल अछि । उपेन्द्रक पिताक नाम धनीलाल यादव आ माताक नाम फुलनीदेवी यादव छी ओ परिवारक सभसँ छोट पुत्र छी । यादवक भैया डम्बर यादव एक मध्यमवर्गीय किसान छी । यादवक बाल्यकाल सप्तरी जिलाक मधुवनमे बितल । अखन ई ठाम सुनसरी जिलामे अबैत अछि । मधुवनक मोहन निम्न माध्यमिक विद्यालयमे ओ प्रारम्भिक शिक्षा प्राप्त केनए छल । ओकर बाद जनता माध्यमिक विद्यालय, मधुवन आ वनदहवाकट्टी हाइ स्कूल सप्तरीमे माध्यमिक शिक्षा प्राप्त केलक । वि.सं. २०३२ सालमे एसएलसी उत्तीर्ण केलाक बाद यादव धरान उपमहानगरपालिकाक हात्तीसार क्याम्पसमे प्रवेश लेलक । ओ क्याम्पससँ विज्ञान विषय ...

                                               

खड्गप्रसाद ओली

खड्गप्रसाद शर्मा ओली नेपालक राजनीतिज्ञ तथा वर्तमानमे प्रधानमन्त्री छी । राष्ट्रपती विद्या देवी भण्डारी द्वारा संविधानक धारा ७६ कऽ उपधारा २ बमोजिम २०७४ फागुन ३ गते ओली प्रधानमन्त्री नियुक्त भेल ।। आ एहिसँ पहिने ओली २०७२ मे पहिलबेर नेपालक ३८अम प्रधानमन्त्री सेहो रहि चुकल अछि ओ नेकपा क वर्तमान अध्यक्ष छी।

                                               

गणेशमान सिंह

गणेशमान सिंह वि.सं. १९७२-२०५४ नेपालक बरिष्ठ राजनीतिज्ञ, प्रजातन्त्रक योद्धा तथा २०४६ सालक जनआन्दोलनक सर्वोच्च कमान्डर छल । काठमाडौंक खानदानी परिवारम जन्मल गणेशमान सिंह १९९७ सालम स्थापना भेल नेपालक पहिल राजनीतिक पार्टी प्रजा परिषद्क सदस्य भऽ राणा शासन हटाबैक राजनीतिक लेल स्वयंक योगदान देनेए छल । भद्रगोल जेल फोइर भागल जोशिला युवा गणेशमान प्रबास जाएसँ पहिने तत्कालीन राणा हटाऊ आन्दोलनक एक नायक भऽ गेछल । भारतम दोसर नेता बीपी कोइरालासँ राजनीतिक सम्बन्ध विकसित होए साथे अन्य किछ सहयोगीसाथ २००३ सालम स्थापित नेपाली कांग्रेसक आजीवन जुझारू नेतृत्व देवाक लेल गणेशमानक उल्लेखनीय भूमिका रहल अछि । २००७ साल ...

                                               

झलनाथ खनाल

झलनाथ खनाल क वरिष्ठ नेता सेहो छी । विसं २००६ साल चैत ६ गते इलाम जिलाक साँखेजुंगमें जनमल खनाल हाल इलाम जिल्ला क्षेत्र नं. १ सँ संविधान सभा सदस्यमें निर्वाचित भेल अछि । । खनाल बेर बेर मन्त्री सेहो भेछल ।

                                               

मदन भण्डारी

मदनकुमार भण्डारी वि.सं. २००९-२०५० नेपालक राजनीतिज्ञ तथा नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी एकीकृत मार्क्सवादी-लेनिनवादी कऽ नेता छल। जनआन्दोलन २०४६मे बाम मोर्चासँ सक्रीय रहल भण्डारी नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी मार्क्सवादी-लेनिनवादी आ मनमोहन अधिकारी द्वारा नेतृत्व कएल नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी मार्क्सवादी के एकीकरण कैरनेकपा एमाले गठन करै महत्त्वपूर्ण भूमिका खेलने छल । ओ प्रतिपादन केने बहुदलीय जनवादक नीति पछ्यातै नेकपा एमाले बहुलबादी राजनीतिमे अगाडी बइढ़ आम निर्वाचन २०४८मे भाग लऽ देशक प्रमुख प्रतिपक्षक रूपमे स्थापित भेछल । लेनिन सबसँ पहिला संसारमे स्थापित कएल सोभियत समाजवाद असफल भऽ विश्व कम्यूनिष्ट आन्दोलन गम ...

                                               

माथवरसिंह थापा

माथवर सिंह थापा, मातवर सिंह थापा सन् १८४३ दिसम्बर २५ सँ १८४५ मई १७ धरि नेपालक प्रधानमन्त्री छल । ई भिमसेन थापाक भतिजा तथा जङ्गबहादुर राणाक मामा छल । हिनका सन् १८४५ मई १७क दिन हुनकर अपने भाञ्जा जङ्गबहादुर राणा गोली मारि हत्या केनए छल । ओ भिमसेन थापाक भतिजा छल आ भिमसेन थापाके जिवन दन्ड दैत काल ओ भागि भारत पहुँचल छल । बादमे ओ नेपाल बोलाएल गेल आ राजेन्द्र विक्रम शाहक दोसर रानी महारानी राज्यलक्ष्मीद्वारा नेपालक प्रधानमन्त्री बनाएल गेल । मुदा ओ श्री ५ सुरेन्द्रक गद्दि च्युतक राज्यलक्ष्मीके अपने पुत्रके गद्दी दहि लेल नैमानैक कारण रानी सन् १८४५ मई १७ मे दरबार बोलाए जङ्गबहादुर राणाद्वारा हुनकर हत्य ...

                                               

रणजंग पाँडे

रणजंग पाँडे विसं १८९४ श्रावणमे मुख्तियार भिमसेन थापाके पदच्युत कएल गेला बाद मुलुकक केन्द्रीय राजनीतिमे पकड बनाबैमे सफल भेछल । मुलुकक मुख्तियारी रंगनाथ पौडेलद्वारा जिम्मेवारी बहन करला बादो हुनकर अधिकार क्षेत्र मुलुकी बन्दोवस्त आ परराष्ट्र विभागमे मात्र सिमित छल । रणजंग पाँडे ओहि बखत जङ्गी विभागक जिम्मेवारी पाबनए छल । ओकर बाद तत्कालीन राजा राजेन्द्रक निर्देशन अनुसार हुनकर जफत कएल गेल पारिवारिक जमीन घुमाएल गेल आ हुनकर भैया रणदल पाँडेके काजी बनाए पाल्पा पठाएल गेछल । विसं १९९५ भादोमे रंगनाथ पौडेलक राजीना देलाबाद चौतारिया पुष्कर शाहके मुख्तियारी देल गेल आ ओहि वर्षक पुस महिनामे रणजंग पाँडे मुख्य ...

                                               

रणोद्दिप सिँह बहादुर राणा

रणोद्धीप सिंह बहादुर राणा राणा शासनक दोसर श्री ३ महाराजक रूपमे रणोद्धिप सिंह नेपालक प्रधानमन्त्री बनल छल । जंगबहादुर राणाक निधन पश्चात् जंगबहादुरद्वारा राखल गेल थिति अनुसार ई श्री ३ क पदमे विराजमान भेल । मुदा बादमे ई अपने भाई/भतिजासभद्वारा षड्यन्त्रपूर्वक मारल गेछल । हिनकरबाद हिनकर भतिजा वीर शमशेर जङ्गबहादुर राणा नेपालक प्रधानमन्त्री बनल छल ।

                                               

राम राजा प्रसाद सिंह

राम राजा प्रसाद सिंह नेपालक पहिल गणतन्त्रवादी नेता छलाह। बि.स. १९९१मे जिमिन्दारक परिवारमे जन्मल सिंह २०४२ सालमे सिँहदरबारमे बम विस्फोट करौने छल। ओकर बाद हुनका पर नेपाल सरकार तखनक द्वारा मुद्दा चलाओल गेल आ गिरफ्तार करऽक लेल कहल गेल । राजा महेन्द्रक समयसँ ही गणतान्त्रिक आन्दोलनमे लागल हिनका पर सर्वस्व हरणसहित मृत्युदण्डक सजाय सुनाएल गेछल । लेकिन तखन ओ भूमिगत भऽ गेछल ।जब नेपालमे गणतन्त्रक स्थापना भेल तखन ओ नेपाल आएल छल। ओकर बाद राम राजा प्रसाद सिंह नेपालक पहिल रास्ट्रपति चुनावमे एकीकृत नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी क उम्मेदवार छलाह।

                                               

सहाना प्रधान

सहाना प्रधान नेपालक राजनीतिज्ञ तथा पूर्व मन्त्री छलिन। हुनका बेटीओ बेटा सरह शिक्षाक अधिकार पावत् अभियानसँ राजनीति सुरू केने छलिन। विभिन्न समयमे विभिन्न भूमिकामे रहल प्रधान २०४६ क जनआन्दोलनमे संयुक्त बाम मोर्चाक संयोजक छ्लिन। प्रजातन्त्र प्राप्ति पश्चात् सेहो लाम्बा समयतक हुनका राजनीतिमे सकृय रहल छलिन।

                                               

सुवर्ण शमशेर राणा

सुवर्ण शमशेर राणा नेपालक एक बरिष्ठ राजनीतिज्ञ आ नेपालक २१म् प्रधानमन्त्री छल। राणा परिवारमे जन्मल आ राणा शासन विरूद्धक आन्दोलनमे व्यापक रूपमे संलग्न छल। सुवर्ण सम्शेर राणा नेपाली काङ्ग्रेसक कोषाध्यक्ष आ पञ्चायतकालमे विश्वेश्वर प्रसाद कोइराला जेल भेल समयमे कार्यवाहक सभापति बनल छल। हिनका नेपालक विद्वान राजनीतिज्ञक रुपमे सेहो चिन्हल जाएत अछि। २३ वर्षक उमरमे स्नातोकोत्तर केनिहार सुवर्ण शमशेर राणा परिवारक प्रथम स्नातकोत्तर उतिर्ण केनिहार व्यक्ति छी। सुवर्ण शमशेर किछ समय राजा महेन्द्रकें राजदरबार भितर जाए अध्ययन करेवाक काज सहो केनए छल।

कीर्तीनिधि विष्ट
                                               

कीर्तीनिधि विष्ट

कीर्तिनिधि बिष्ट पञ्चायती व्यवस्थाक प्रधानमन्त्री छल । राजा ज्ञानेन्द्र २०६१ माघ १९ मे शासन सत्ता लेलावाद ओ पुनः मन्त्रीपरिषदक उपाध्यक्ष बनालक।

                                               

चित्रबहादुर केसी

चित्रबहादुर केसी नेपालक राजनीतिज्ञ छथि। हुनका लम्बा समयधरि नेपालक कम्युनिष्ट आन्दोलनमे संलग्न रहल अछि। राष्ट्रिय जनमोर्चाक अध्यक्ष केसी नेपालक संघीयताक विरोधी राजनीतिज्ञ छथि।

देव शमशेर जङ्गबहादुर राणा
                                               

देव शमशेर जङ्गबहादुर राणा

देव शमशेर जङ्गबहादुर राणा राणा शासनक चारिम श्री ३ महाराज तथा नेपालक १२अम प्रधानमन्त्री छी । ई अपन भैया वीर शमशेरक निधन बाद श्री ३ क पदमे विराजमान भेछल । सोझ आ किछ हद धरि सुधारक देखल गेला बाद हिनकर क्रियाकलाप नै निक लागला कारण अपने भाई चन्द्र शमशेर हिनका पदच्यूत करि धनकुटा भगौने छल । बादमे हिनकर इक्षा अनुसार हिनका इलाम पठाओल गेछल । घोडा चढबै कहि ई इलाम सँ गोर्खे बजारक रस्ता होएत ई दार्जिलिङ पहुँच ब्रिटिश सरकारक शरणमे गेछल ।

                                               

नगेन्द्रप्रसाद रिजाल

नगेन्द्रप्रसाद रिजाल दुई बेर नेपालक प्रधानमन्त्री बनल छल। हुनकर पहिल प्रधानमन्त्री कार्यकाल सन् १९७३ जुलाई १६ सँ सन् १९७५ दिसम्बर १ धरि आ दोसर प्रधानमन्त्री कार्यकाल सन् १९८६ मार्च २१ सँ सन् १९८६ जुन १८ धरि रहल छल। रिजाल नेपाली काङ्ग्रेस परित्याग करि राजाद्वारा स्थापना कएल गेल पञ्चायती व्यवस्थाक सराहना आ समर्थन करि अर्थ तथा योजना सहायक मन्त्री, उद्योग तथा वाणिज्य मन्त्री, राष्ट्रिय पञ्चायत सदस्य, राष्ट्रिय पञ्चाय अध्यक्ष भऽ काज केनए छल।

नारायणमान बिजुक्छे
                                               

नारायणमान बिजुक्छे

नारायणमान बिजुक्छे नेपाल मजदुर किसान पार्टीक अध्यक्ष छथि। रोहित उपनामसँ सेहो चिनैत ओ भक्तपुर क्षेत्र नं १ क प्रत्यक्ष निर्वाचित सांसद छथि। ओ हरिबहादुर श्रेष्ठ उपनाममे लेखसभ लेखैत अछी ।

पुष्कर शाह
                                               

पुष्कर शाह

पुष्कर शाह नेपालक पूर्व प्रधानमन्त्री छल । पौडेल सन् १८३८ सँ सन् १८३९ धरि करिब १ वर्ष प्रधानमन्त्री पद भार सम्भालने छल । ओ मुख्तियार बनै सँ पहिने सन् १८३१ सँग सन् १८३८ धरि डोटीक गभर्नर छल । ओ चिनक लेल नेपालक विशेष राजदुत भ काज केनए छल ।

पुष्पकमल दाहाल
                                               

पुष्पकमल दाहाल

पुष्पकमल दाहाल ; जन्म: ११ दिसम्बर १९५४, प्रचण्ड)क रूपमे सामान्यतया जानल जाएत अछि । नेपालक कम्युनिष्ट राजनीतिज्ञ तथा एकिकृत नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी क अध्यक्ष छी । कमसकम १३ वर्ष भूमिगत जीवन बिताबएक बाद वो विसं २०६२-६३ क जनआन्दोलन बाद खुला राजनीतिमे प्रवेश केनए छल । सन् २००८ मे वो नेपालक प्रधानमन्त्री बनल छल ।

बमबहादुर राणा
                                               

बमबहादुर राणा

बमबहादुर राणा नेपालक पूर्व प्रधानमन्त्री तथा जंगबहादुर राणाक भाई छल । ई जंगबहादुर बेलायत गेल समयमे नेपालक प्रधानमन्त्री बनि सन् १९०६ सँ सन् १९०७ धरि करिब १ वर्ष प्रधानमन्त्री पद भार सम्भालने छल ।

बिजयकुमार गच्छदार
                                               

बिजयकुमार गच्छदार

बिजयकुमार गच्छदार एक नेपाली राजनीतिज्ञ आ मधेसी जनअधिकार फोरम के अध्यक्ष छी। ओ प्रधानमन्त्री केपी ओलीक सरकार के अन्तर्गत नेपाल के उप प्रधानमन्त्री छल। अप्रैल २००८ मे, ओ २३,७६९ भोटक साथ संविधानसभा चुनाव २०१३ जीतने छल।

मनमोहन अधिकारी
                                               

मनमोहन अधिकारी

मनमोहन अधिकारी नेपालक पूर्व प्रधानमन्त्री¸ प्रजातान्त्रिक योद्धा तथा राजनीतिज्ञ छल । ओ विश्वकै इतिहासमे पहिल निर्वाचित कम्युनिष्ट प्रधानमन्त्री छल । ओ नेपाल कम्युनिष्ट पार्टीक संस्थापक सदस्य छल । वि.सं.२०४६ कऽ जनआन्दोलन ताका नेकपा मार्क्सवादीकऽ अध्यक्ष रहल अधिकारी २०४७ मे नेकपा माले सित पार्टी एकीकरण भेलावाद नेकपा एमालेक समेत संस्थापक अध्यक्ष बन्न पुगल ।

माधवकुमार नेपाल
                                               

माधवकुमार नेपाल

माधवकुमार नेपाल, नेपालक एक राजनीतिज्ञ आ नेपालक पूर्वप्रधानमन्त्री छी। एहिसँ पहिने पन्ध्र वर्ष धरि ओ नेकपा क निवर्तमान महासचिव छल।

रङ्गनाथ पौडेल
                                               

रङ्गनाथ पौडेल

रङ्गनाथ पौडेल वा रङ्गगनाथ पण्डित नेपालक पूर्व प्रधानमन्त्री छल । पौडेल विक्रम सम्बत् १९९४ सँ १९९५ धरि करिब १ वर्ष प्रधानमन्त्री पद भार सम्भालने छल । पौडेल एक पैग तान्त्रिक छल । रङ्गनाथ पण्डित विसं १८९४ श्रावणमे मुख्तियार भिमसेन थापाके पदच्युत कएल गेला बाद मुलुकक मुख्तियारी पाबनिहार व्यक्ति छी । मुदा हुनकर अधिकार क्षेत्र मुलुकी बन्दोवस्त आ परराष्ट्र विभागमे मात्र सिमित छल । पौडेल विसं १९९५ भादोमे राजीनामा देलाबाद चौतारीया पुष्कर शाहके मुख्तियारी देल गेछल ।

वीर शमशेर जङ्गबहादुर राणा
                                               

वीर शमशेर जङ्गबहादुर राणा

वीर शमशेर जङ्गबहादुर राणा नेपालक राणा शासनक सातम तथा नेपालक ११अम प्रधानमन्त्री छल । ई अपन बड्का बाबु श्री ३ रणोद्धिपको षड्यन्त्रपूर्वक हत्या करि श्री ३ क पदमे विराजमान भेछल ।

शेरधन राई
                                               

शेरधन राई

शेरधन राई नेपालक राजनीतिज्ञ आ वर्तमानमे प्रदेश नं १ कऽ मुख्यमन्त्री छी । भोजपुर क्षेत्र नं १ ख सँ प्रदेश सभामे निर्वाचित भऽ २०७४ माघ २ गते नेपालक प्रदेश नं. १ कऽ मुख्यमन्त्रीकें रुपमे निर्वाचित भेछल ।

Free and no ads
no need to download or install

Pino - logical board game which is based on tactics and strategy. In general this is a remix of chess, checkers and corners. The game develops imagination, concentration, teaches how to solve tasks, plan their own actions and of course to think logically. It does not matter how much pieces you have, the main thing is how they are placement!

online intellectual game →